जेना ओ कहै छथि, हम मरब- लोक मरिते अछि- आइ ने तँ काल्हि मुदा हमरा मारल जाएब नीक लागत- घृणा अछि स्वयं मरबासँ, लकबा मारल। नै ओइ जीवितसँ, ओइ मृत लेल ओकरा प्रति नेह, मंत्रोच्चार, स्वर्गक भरोस। छूरा भोंकल, हम खसि पड़ब कदबामे, छहोछित्त, ततेक सुन्दर आ अभाग आ हमर आत्मा भागत अकास दिस चोराएल घोड़ी चढ़ि स्वर्गक कलममे हम बीछब ढेर रास अजोह बिन बीआबला सेब मुदा कलम ओगरबाहिमे अछि, आ ओगरबाह अहाँक आँखिक बीचोबीच भोंकि दै छथि। जतऽ हम अपन घोड़ीपर चढ़ि अएल रही तकर प्रसिद्ध उपनाम रहै इडेन बाँझ मैल सगर दिस, ई अछि शून्यक साम्राज्य आ दरबज्जाक सोझाँ ओइ शून्यक बीचोबीच हजारक हजार निवासी अपन ठेहुनपर रहैत शान्त ठाढ़ तखन हमर घोड़ी हिनहिनाइत, से हम ओकरा शान्त करै छी लप भरि जौ दऽ आ काँटबला बीआ निकालै छी ओकर खुरक ऊपरसँ आ सैंतै छी ओकर गरदनिक केश पाकल केशबला बूढ़ दरबज्जा खोलबाक करैए प्रयास, प्रतिज्ञा करैत मुदा ओ सफल नै भऽ सकल ओकरा सोझरेबामे आ छोड़ि देलक गारि दैत ओ लोकसभ दरबज्जापर नहिये कुहरलथि नहिये कोनो अबाज केलथि ओ सभ खाली उठ-बैस केलथि, कारण हुनकर सभक ठेहुन सुन्न भऽ गेल छन्हि ठेहुन मोरि ठाढ़ भेल कुकुड़ बालुपर छोड़लक चेन्हासी- हे भगवान, ई तँ अछि जेल परिसर ई नै अछि स्वर्ग, ओना सूलीपर चढ़ल देखाइत बढ़ैत ऊपर हम ताकी चारू दिस- दोसर जेल करैए ईर्ष्या ऐ जेलसँ गेटसँ अबैत रोटीक गंध- लगैए मुदा जिंजीर आ नालक गंधसँ नीके हम सुरक्षित छी अखन धरि, मुदा ढेर रास ओजोन बहराइत हमर तँ कण्ठ जेना मोकाइये गेल, हम स्राप नै दऽ सकै ची कारण ओइसँ हमरा होइए बड्ड कष्ट हम अनचोक्के बुझै छी- ई पीटर अछि, ईडेनक ओगरबाह आ ओ अछि प्रचारक, आ हम छी गधा, जाइत स्वर्गक कलम सभमे बिछनाइ सेब अछि पूर्ण रूपेँ प्रतिबन्धित आ कलम सभ अछि ओगरबाहिमे, आ ओगरबाह अहाँक आँखिमे भोंकत बीचोबीच हम नै मांगै छी बेशी- ओना आन लोक बौस्तुजात आ जमीन-जथाकेँ दै छथि महत्व जे किछु हमरा चाहे से अछि हमर मित्रगण आ एकटा पत्नी जे हमरा मुइलापर कानय आ हुनका सभ लेल हम चोराएब स्वर्गक कलम सभसँ किछु सेब मुदा कलम सभ अछि ओगरबाहिमे, आ ओगरबाह सभ भोंकत अहाँक आँखिक बीचोबीच सन्त सभ खाकी वस्त्र पहिरने, कुकुड़क घरसँ देवदूत सप्पत लैत बर्फ सन सर्द सेब हम छी बिछैत, अपन अंगामे घोसियबैत ओइ सेब सभकेँ आ तखने- अबाज! ई अछि निशाना, हम मारल जाइ छी आँखिमे, आ हमर घोड़ी लऽ जाइए नीचाँ पृथ्वीपर, बताह जकाँ कुदैत घरमुँहा         हम मरि सकै छी एक बेर आर- ऐबेर मात्र ईडेनमे ई होइए तखन आत्मा पुरान धांगल पथ पर कुदैत घुरत ईडेनक बाहर हम लेने आंगाभरि गुलाबी अजोह बिन बीआबला सेब सभ हम आनब अहाँ लग ओ सभ, कारण अहाँ हमर बाट जोहलौं घुरबा लेल।
© Gajendra Thakur. Translation, 2015